पुलिस लाठीचार्ज में लोजपा क तीन विधायक घायल

17dec53u
पटना। लोक जनशक्ति पार्टी पटना मे आइ गरीब एकता मार्च निकाललक। जाहि मे लाठीचार्ज भ गेल। एहि लाठीचार्ज मे पार्टी क प्रदेश अध्यक्ष पशुपति कुमार पारस समेत तीनटा विधायक घायल भ गेलाह। कहल जा रहल अछि जे मार्च शांतिपूर्ण तरीका स विधानसभा दिस जा रहल छल। मुदा कोतवाली थाना क तारामंडल क निकट पुलिस मार्च कए रोकि देलक। एकर बाद समर्थक आगू बढ़बाक कोशिश मे उग्र भ गेलाह। तखन पुलिस लाठीचार्ज करि देलक। दोसर दिस जदयू लोजपा क दलित एकता मार्च कए परिवार प्रभुत्व मार्च कहलक अछि। पार्टी क वरिष्ठ नेता श्याम रजक आ राजीव रंजन प्रसाद लोजपा अध्यक्ष राम विलास पासवान कए दलित विरोधी कहैत कहला जेओ कई साल तक केन्द्र मे मंत्री रहलाह, मुदा दलित क कल्याण लेल कोनो उल्लेखनीय कार्य नहि केलथि। ओनाओ आइ दलित एकता मार्च मे दलित क संख्या कम आ बाहुबली विधायक क प्रभाव स्पष्ट दिखल गेल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments