पुलिस एकेडमी क लेल भवन निर्माण क कवायद शुरू

पटना। राजगीर मे प्रस्तावित पुलिस एकेडमी क भवन निर्माण क लेल पुलिस मुख्यालय कवायद शुरू करि देलक अछि। देश क चारि टा बड़ा फर्म एहि संबंध मे गठित पुलिस मुख्यालय क कोर कमेटी कए अपन-अपन मॉडल देखेलक। डीजीपी आनंद शंकर कहला जे वास्तुविद क कमेटी, जेकरा बोर्ड ऑफ एसेसर्स कहल जाइत अछि, क अनुशंसा क बाद तय कएल गेल जे कोन मॉडल क आधार पर एकेडमी भवन क निर्माण कएल जाए।
पुलिस मुख्यालय क योजना एकेडमी क लेल तत्काल भवन निर्माण क काज शुरू करबाक अछि। सरकार राजगीर मे भूमि अधिग्रहण क प्रक्रिया पूरा करि लेलक अछि। एडीजी स्तर क पुलिस अधिकारी कए एकेडमी क जिम्मा सौंपल गेल अछि। एकरा अतिरिक्त बड़ संख्या मे कनीय पुलिस अधिकारी कए सेहो ओहि ठाम पदस्थापित कएल गेल अछि। पुलिस एकेडमी क संरचना क संबंध मे पुलिस मुख्यालय क एक टा टीम हैदराबाद आ बेंगलुरु क दौरा केने छल। एहन योजना अछि जे इ समय देश मे जे सब स अत्याधुनिक पुलिस एकेडमी अछि ओहि कए तर्ज पर बिहार पुलिस एकेडमी क निर्माण कराउल जाए। स्वीमिंग पुल आ जिम, अत्याधुनिक क्लास रूम, हॉस्टल, परेड ग्राउंड, फायरिंग रेंज आ डाग स्क्वैड क ट्रेनिंग सेंटर एक टा परिसर मे बनाबै क योजना अछि। चंडीगढ़ आ दिल्ली क फर्म पुलिस एकेडमी क अपन योजना कए पुलिस मुख्यालय क समक्ष रखलक अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments