पुरातात्विक स्थल आ स्मारक क संरक्षण पर खर्च होएत 100 करोड़

0
2
esamaad maithili newspaper

पटना। कला, संस्कृति आ युवा कार्य मंत्री डा.सुखदा पाण्डेय कहलथि अछि जे राज्य क पुरातात्विक स्थल आ स्मारक क संरक्षण आ विकास पर 100 करोड़ टका खर्च होएत। इ राशि 13म वित्त आयोग स धरोहर प्रक्षेत्र लेल केन्द्र सरकार स अनुशंसित भेल अछि। विधान परिषद मे विनोद कुमार सिंह क सवाल क जवाब दैत ओ कहलथि जे केन्द्र सरकार स राशि प्राप्त भेला पर प्रथम चरण मे 50 करोड़ टका मधुबनी जिला क मधेपुर प्रखंड क द्वालख स्थित महादेव मंदिर आ लक्ष्मीनारायण मंदिर क अलावा 28 पुरातात्विक स्थल क विकास काज पर व्यय कैल जाएत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page