पुनर्जीवित होएत भागलपुर स्पिनिंग मिल

पटना। राज्य सरकार आईएलएफएस क विस्तृत परियोजना प्रतिवेदन क आधार पर भागलपुर स्थित स्पिनिंग मिल कए पुनर्जीवित करत, जखनकि डीपीआर मे पंडौल आ सीवान क सूत कताई मिल कए निवेश क योग्य नहि मानल गेल अछि। सहकारिता क्षेत्र क तीनू सूत मिल बंद अछि। उद्योग मंत्री विजेन्द्र प्रसाद यादव कहला जे भागलपुर सूत कताई मिल क जीर्णोद्धार क कार्य योजना तैयार कैल जा रहल अछि। ओ कहला जे बुनकर क दशा मे सुधार क लेल सरकार प्रयत्यनशील अछि। ओ स्पष्ट कैला जे हस्तकरघा द्वारा तैयार धोती,साड़ी कए बीपीएल परिवार कए सस्ता दर पर देबाकयोजना नहि अछि। ओ कहला जे बुनकर कए गुणवत्तायुक्त सामग्री तैयार करबा लेल प्रोत्साहित कैल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments