पीपी मोड पर बनत पटना मे फिल्म सिटी

पटना। पब्लिक प्राईवेट पार्टनरशिप क आधार पर पटना मे फिल्म सिटी स्थापित होएत। आधारभूत संरचना विकास प्राधिकार कए विस्तृत परियोजना प्रतिवेदन तैयार करबा लेल कहल जा चुकल अछि। उद्योग मंत्री विजेन्द्र प्रसाद यादव कहला जे सरकार ने राज्य मे फिल्म सिटी बनेबा लेल गंभीर अछि, मुदा इ सरकारकप्राथमिकता मे नहि अछि। यादव कहला जे प्रथम चरण मे सरकार फिल्म विकास निगम कए परिसमापन स मुक्त करि देलक अछि। ओ कहा जे सरकार पैघ उद्योग नहि स्थापित करत। प्राथमिकता फूड प्रोसेसिंग यूनिट स्थापित करबाक अछि। ओ कहला जे राज्य मे उद्योग स्थापित करबाकमाहौल बनि रहल अछि। एखनधरि एक अरब 73 करोड़ टका क पूंजी निवेश भ चुकल अछि, जाहि स 33टा इकाइ स्थापित भेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments