पीपीपी मोड पर नहि बनि सकल गंगा एक्सप्रेस वे

पटना। पथ निर्माण विभाग पब्लिक प्राइवेट पार्टनरशिप (पीपीपी) मोड मे दीघा स दीदारगंज क बीच गंगा एक्सप्रेस वे बनेबाक योजना वापस ल लेक अछि। पथ निर्माण मंत्री नंदकिशोर यादव कहला अछि जे एहि महत्वाकांक्षी परियोजना मे कोनो निर्माण कंपनी गंभीर नहि अछि आ बेर-बेर तारीख बढेबाक मांग क रहल अछि। सरकार कंपनी क एहि रवैया स तंग भ चुकल अछि आ एहि प्रस्‍ताव कए वापस ल रहल अछि।
यादव क अनुसार एहि परियोजना क शुक्रदिन फाइनेंसियल बिड खुलबाक छल मुदा कंपनी सब समय बढेबाक मांग क देलक। सरकार पहिने कई बेर समय बढा चुकल अछि आ आब समय आगू ल जेबाक कोनो कोई मतलब नहि अछि। एहि लेल सरकार तय केलक अछि जे आब गंगा एक्सप्रेस वे क निर्माण पीपीपी मोड मे नहि कैल जाएत।
बीस किलोमीटर क गंगा एक्सप्रेस वे कए पीपीपी मोड मे बनेबाक योजना आयोग सेहो मंजूर क देने छल। दीघा स दीदारगंज क बीच प्रस्‍तावित एहि फोर लेन क सड़क कए दू ठाम एनएच क कनेक्टिवटी भेट रहल छल। एएन सिन्हा इंस्टीच्यूट स पटना सिटी क कंगन घाट तक गंगा एक्सप्रेस वे कए एलिवेटेड सड़क क रूप मे बनेबाक छल।
पथ निर्माण विभाग सूत्र क कहब अछि जे लगभग 2000 करोड़ क एहि परियोजना कए टोल पर देबाक छल। निर्माण कंपनी कए एहि मे परेशानी छल जे एहि सड़क क समानांतर पहिने स सड़क अछि तखन एहि सड़क पर टोल पर वाहन अनबाक गारंटी के लेत?

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments