पीपड़ क गाछ बनल बिहार पर्यटनक लोगो

pipal
पटना । बिहार मे पर्यटन क संभावना बढि़ गेल अछि। दिन प्रति दिन बिहार मे देशी आ विदेशी पर्यटक संख्या बढि़ रहल अछि। एहन मे अपन अलग पहचान बनेबा लेल बिहार पर्यटन विभाग अपन लोगो तैयार केलक अछि। पर्यटन मंत्री राम प्रवेश राय क समाद अछि जे पर्यटन विभाग क नव लोगो पीपड़ क गाछ अछि। एकर चुनाव एहि लेल कैल गेल अछि किया कि पीपड़क संबंध भगवान बुद्ध स अछि, जे एकर नीचा मे ज्ञान प्राप्त केलथि। बोध गया स्थिति महाबोधि मंदिर मे अवस्थित बोधि वृक्ष स मिलैत-जुलैत एहि लोगो क डिजाइन नेशनल इंस्टीच्यूट ऑफ डिजाइनिंग, अहमदाबाद क दू सदस्यीय दल केलक अछि। राय कहैत अछि जे इ लोगो राज्य क ब्रांडिग मे सेहो सहायक होयत। अगिला किछु दिन क बाद इ लोगो पर्यटन स संबंधित सब ठाम देखबा मे आउत। राय कहैत छथि जे होटल आ सार्वजनिक स्थानक संग-संग इ लोगो सार्वजनिक वाहन पर सेहो देखबा मे भेटत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें