पीएमसीएच मे टूटल रिकार्ड

पटना। पीएमसीएच लेल पांच सितम्बर क तारीख खास मायने राखत। इ पटना मेडिकल कालेज आ हास्पिटल (पीएमसीएच) लेल एकटा खास उपलब्धि ल कए आयल। पीएमसीएच क पंजीयन कार्यालय मे कुल 2696टा मरीज अपन रजिस्ट्रेशन करेलथि। कम्प्यूटरीकृत रजिस्ट्रेशन शुरू भेलाक बाद इ सर्वाधिक अछि। पंजीयन कार्यालय क आंकडा कहैत अछि जे पीएमसीएच ओपीडी मे सबसे बेसी मरीज मेडिसिन विभाग मे एलथि जखन कि सबस कम एड्स सेंटर मे। एड्स सेंटर मे मरीजों क संख्या एतबा कम हेबाक मुख्य कारण इ अछि जे पहिने मरीज कए मेडिसिन विभाग मे पठाउल जाइत अछि। जांच मे पुष्टि क बाद हुनका एआरटी मे रेफर कैल जाइत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments