पीएमसीएच कए भेटत विश्वस्तरीय आधारभूत संरचना

पटना । दरभंगा क महाराजा रामेश्‍वर सिंह द्वारा स्‍थापित पटना मेडिकल कालेज अस्पताल (पीएमसीएच) मे सुविधा क विस्तार कैल जाएत। विकास आयुक्त फूल सिंह क अध्यक्षता मे गठित पीएमसीएच क भविष्य क आवश्यकता क आकलन क सरकार कए अपन रपट सौंपत। इ कमेटी पीएमसीएच मे विश्वस्तरीय आधारभूत संरचना कए विकसित करबाक प्रस्ताव सेहो तैयार करत। कमेटी मे स्वास्थ्य विभाग क प्रधान सचिव व्यास जी, प्रधान सचिव, योजना आ विकास विजय प्रकाश, प्रधान सचिव वित्त रामेश्वर सिंह आ भवन निर्माण सचिव चंचल कुमार सेहो शामिल रहताह।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क अध्यक्षता मे सोमदिन भेल बैसार मे इ तय भेल। स्वास्थ्य विभाग क प्रधान सचिव व्यास जी कहला जे आधारभूत आवश्यकता क आधार पर बहुमंजिला मकान क कन्सेप्ट तैयार कैल जा रहल अछि। विश्वस्तरीय कन्सलटेंट एकर आर्किटैक्चर स्ट्रक्चर क खाका तैयार करत। एकर बाद वित्तीय पहलू पर विचार कैल जाएत।
बैसार मे पटना मेडिकल कालेज अस्पताल कए स्वायत्त बनेबा पर सेहो विचार विमर्श भेल। एकरा लेल देश क प्रसिद्ध स्वायत्त प्रतिष्ठान क माडल क अध्ययन करबाक प्रस्ताव अछि। एहि स प्राप्त जानकारी क आधार पर राज्य क जरूरत क मुताबिक स्वायत्तता क माडल तैयार कैल जाएत। एहि आधार पर तैयार प्रस्ताव कए सरकार क स्वीकृति लेल पठाउल जाएत

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments