पीएडा मे देखा रहल अछि चहल-पहल

मधुबनी। दरभंगा प्रमंडलक सबस पुरान औद्योगिक परिसर पडौल औद्योगि परिसर (पीएडा) मे एक बेर फेर चहल-पहल देखा रहल अछि। पिछला कई साल स वीरान पडल एहि परिसर मे धीरे धीरे उद्योग स्‍थापित भ रहल अछि। पुरान उद्योग कए फेर स जीवित करबाक कोनो प्रयास त नहि देखा रहल अछि, मुदा नव उद्योग जरूर परिसर कए नव जीवन प्रदान क रहल अछि। चारि मास पहिने करीब दू करोड क लागत स कनक धारा नामक पेयजल कंपनी एहि ठाम अपन कारोबार शुरू केलक अछि। करीब 48 हजार लीटर क्षमता क एहि प्‍लांट मे एखन 12 हजार लीटर पेयजल क उत्‍पादन भ रहल अछि। खास गप इ अछि जे आब एहि ठाम बोतल क निर्माण सेहो भ रहल अछि जाहि स पेजयल लेल बोतलक आयात करबाक मजबूरी खत्‍म भ गेल। कंपनी क अधिकारी कमलेश कुमार झा क कहब अछि जे एहि प्‍लांट स कम स कम पेयललक मामला मे मिथिला मेड इन मधुबनीक गौरव प्राप्‍त क लेलक अछि आ करीब 40 गोटे कए रोजगार सेहो उपलब्‍ध कराउल गेल अछि। जलक उपलब्‍धता कही बा बाजार मे पेयजलक मां, मुदा कनक धारा क बलग मे एकटा आओर पेयजल क प्‍लांट लागि रहल अछि जे अगिला दू मास मे चालू भ सकैत अछि। परिसरक एकटा जमीन पर मुर्गीदाना बनेबाक कारखाना सेहो तैयार भ रहल अछि। एहि कारखाना क चालू भेला स मधुबनी जिला मे मुर्खीपालक कए मुर्गीदाना लेल परेशानी नहि रहत। पीएडा लेल सबस पैघ उपलब्धि डिटरजेंट कंपनी क खुलब अछि जेकरा लेल सरकार शुक्रदिन जमीन आवंटित क देलक अछि। मुंबई क कंपनी अपन एकटा ईकाई पंडौल मे लगा रहल अछि। हाजीपुरक बाद उत्‍तर बिहार मेइ दोसर डिटरजेंट प्‍लांट होएत। उम्‍मीद कैल जा रहल अछि जे एहि कारखानाक शुरुआत एहि सालक अंत धरि भ जाएत। कंपनीक एकटा पदाधिकारीक कहब अछि जे कंपनी अगिला छह मासक भीतर पहिने पैकेट क काज शुरू क देत आ साल भरिक भीतर उत्‍पादन शुरू भ जाएत। कुल मिलाकर वीरान पडन पीएडा मे आब चहलचहल देखा रहल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments