पासवान कए सेहो भेटत महादलित क सुविधा

0
3
esamaad maithili newspaper

पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पासवान जाति क लोक कए आश्वासन देलथि अछि जे हुनको महादलित कए देल जा रहल सबटा सुविधा भेटत। मौका छल वीर शिरोमणि बाबा चौहरमल जयंती क। पटना क मिलर स्कूल मे पासवान जाति क वीर पुरुष चौहरमल क 160म जयंती मनाउल गेल। मुख्य अतिथि नीतीश कुमार छलथि। उप-मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी,भवन निर्माण मंत्री छेदी पासवान सहित कईटा पासवान जाति क विधायक एहि कार्यक्रम मे शिरकत केलथि।
मुख्यमंत्री कहलथि जे भूमिहीन पासवान जाति क लोक कए जमीन देल जाइत। उप-मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला जे पंचायत स्तर पर भेल चुनाव मे करीब दू तिहाई मुखिया पासवान जाति स चुनल गेलथि अछि, जे नीतीश कुमार क देन अछि।

नीतीश आ शरद क बीच बढ़ल फासला
एहि कार्यक्रम क उदघाटन जनता दल यूनाइटेड क राष्ट्रीय अध्यक्ष शरद यादव क हाथ स हेबाक छल, मुदा शरद यादव एहि कार्यक्रम मे नहि एलाह। पिछला काफी दिन स नीतीश आ शरद यादव क बीच फासला बढि़ रहल अछि। जेकर शुरुआत महिला आरक्षण बिल कए लकए भेल छल। शरद महिला आरक्षण बिल क विरोध मे छथि, ओतहि नीतीश महिला आरक्षण बिल क समर्थन करैत छथि। एकर बाद प्रदेश जदयू क कार्यकारिणी टीम क गठन मे सेहो शरद यादव कए दूर राखल गेल। हालांकि दूनू पक्ष एखन एहि संबंध मे चुप अछि।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page