पावर प्लांट मे टाटा, रिलायंस समेत 20टा कंपनी रुचि देखेलक

पटना । स्पर्धा क आधार पर केश 2 बीडिंग क तहत चौसा, कजरा आ पीरपैंती मे थर्मल पावर स्टेशन स्थापित करबा लेल 20टा कंपनी रुचि देखेलक अछि। एहि मे टाटा, रिलायंस, एस्सार, ए‌र्स्टलाईट, जिन्दल, लैम्को, वीडियोकान, एल एण्ड टी, सीईएससी, आदित्य बिरला ग्रुप आ अदानी जइसन पैघ फर्म सेहो बिड डाक्यूमेंट क खरीद केलक अछि।
एहि कंपनी क संग प्री वीड कान्फ्रेंस सेहो भेल अछि जाहि मे प्रधान सचिव अजय नायक, बिहार राज्य विद्युत बोर्ड क अध्यक्ष प्रभात कुमार राय आ सदस्य उत्पादन ललन प्रसाद आ बीपीआईसी क पदाधिकारी सब भाग लेलथि। प्रधान सचिव नायक आ बोर्ड क अध्यक्ष प्रस्तावक क शंका क निराकरण केलथि। ओ कहला जे बक्सर लेल शीध्र कोल लिंकेज उपलब्ध भ जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments