पांच मई कए दरभंगा जेताह राज्यपाल

पटना/दरभंगा। प्रदेशक राज्यपाल सह कुलाधिपति देवानंद कोनवार पांच मई कए दरभंगा जेताह। कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय क आग्रह पर राजभवन अपन सहमति द देलक अछि। अपन दरभंगा यात्राक दौरान महामहिम विश्वविद्यालय मुख्यालय मे निर्मित स्नातकोत्तर भवन, वेद भवन, व्यायामशाला आ महिला छात्रावास क उद्घाटन करताह। कुलाधिपति सचिवालय क दिस स विवि प्रशासन कए प्रेषित पत्र मे एकरा लेल कार्यक्रम क रूप रेखा, वक्ता क सूची आ निर्धारित समय क संग-संग मंच पर बैसनिहार लोकक ब्योरा आदि मांगल गेल अछि। एहि पत्र क प्राप्ति क बाद कुलपति डॉ नन्द किशोर शर्मा क अध्यक्षता मे पदाधिकारी आ स्नातकोत्तर विभाग क अध्यक्ष क संयुक्त बैठक भेल, जाहि मे कुलाधिपति क आगमन व स्वागत क तैयारी पर विचार-विमर्श कैल गेल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments