पांचम बेर लोजपा क अध्यक्ष बनलाह रामविलास

पटना। पटना मे पहिल बेर आयोजित राष्ट्रीय कार्यकरिणी क बैठक मे सर्वसम्मति स रामविलास पासवान कए पार्टी क अध्यक्ष चुनि लेल गेल। एहि बैठक मे बिहार क 25टा सदस्य क अलावा कार्यकारिणी क लगभग सबटा सदस्य उपस्थित छलाह। उल्लेखनीय अछि जे 28 नवंबर, 2000 मे लोजपा क गठन क बाद स पासवान वर्ष 2002, वर्ष 2004, वर्ष 2006 आ वर्ष 2008 मे पार्टी क राष्ट्रीय अध्यक्ष चुनल गेल छथि। वर्ष 2004 मे राष्ट्रीय अध्यक्ष क चुनाव गांधी मैदान मे महाधिवेशन मे भेल छल, मुदा एकर बाद अपना कए राष्ट्रीय नेता मानबाक भ्रम मे ओ पार्टीक राष्ट्रीय कार्यकारिणी क अन्य बैठक एखन धरि दिल्ली मे करैत रहलाह। पिछला लोकसभा चुनाव हारलाकबाद पासवान कए फेर बिहार क ध्यान आयल अछि। देखबाक अछि ओ केतबा दिन बिहारक नेता बनल रहैत छथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments