पहिल शिक्षामंत्री क गृहनगर मे खुलत विश्वविद्यालय

ममता शंकर
पूर्णिया । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार घोषणा केलथि अछि जे पूर्णिया मे एकटा विश्वविद्यालय क निर्माण कैल जाएत। बिहार क पहिल शिक्षामंत्री कुमार गंगानंद सिंह क गृहनगर पूर्णिया में विश्वविद्यालय लेल अगिला सत्र में एकटा विधेयक पारित कैल जाएत। उल्लेखनीय अछि जे शिक्षामंत्री कुमार गंगानंद सिंह क कार्यकाल में बिहार मे भागलपुर समेत कुल छहटा विश्वविद्यालय क स्थापना भेल। ओ अपनहुं कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय क पहिल कुलपति भेलाह। हुनक गृहनगर मे विश्वविद्यालयक मांग बहुत दिन स होइत रहल, मुदा एहि पर निर्णय नहि लेल जा सकल छल। सोमदिन जखन जनप्रतिनिधि क संग मुख्यमंत्री बैसार क रहल छलाह तखन हुनकर समक्ष इ मांग राखल गेल, जेकरा मुख्यमंत्री स्वीकार करैत अगिला सत्र मे एहि संबंध मे विधेयक अनबा क गप कहलाह। संगहि ओ स्थानीय प्रतिनिधि आ पूर्णिया क जिला प्रशासन स प्रस्तावित विश्वविद्यालय लेल जमीन क पहचान करबा लेल कहलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments