पहिल चरण क जाति गणना मे बिहार नहि!

पटना । जून स शुरू भ रहल पहिल चरण क जाति गणना मे बिहार शामिल नहि अछि। पहिल चरण मे देश क तीनटा राज्‍य मे जाति, धर्म आ बीपीएल परिवार क गणना करेबाक निर्णय भेल अछि। एहि मे ओड़िशा, गोवा आ छत्तीसगढ़ अछि। बिहार मे जाति क गणना कखन शुरू होएत, एकर संबंध मे जनगणना निदेशालय कए कोनो आधिकारिक सूचना नहि अछि। अधिकारी क कहब अछि जे जाति आ धर्म आधारित जनगणना जून स दिसंबर तक चलत। एहि बीच मे बिहार मे सेहो काज संपन्न करबाक अछि।
सूत्रक अनुसार बिहार मे बारिश क मौसम समाप्त भेलाक बाद जाति-धर्म आधारित जनगणना क शुरुआत क उम्मीद अछि। एहि बेर गणना मे कागज क प्रयोग नहि कैल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments