परिषद केलक मैथिली नाटक क आयोजन

नई दिल्‍ली। मैथिल यूथ परिषद् अपन नाटक क आयोजन आ मिथिला मे सेहो शुरू क देलक अछि। परिषद दिल्‍ली मे नाटकक सफल आयोजनक बाद आब मिथिला क धरती पर  मैथिली  नाटक (आतंकवादी मुरारी बाबू) क मंचन करत। परिषद दिस स जारी भेल विज्ञप्ति मे कहल गेल अछि जे नाटक क लेखक आ निर्देशक मुंबई फिल्म जगत क कलाकार सागर झा एहि नाटकक निर्देशन करताह। मिथिला मे एहि नाटकक पहिल मंचन 12 नवंबर कए बरैल, मधुबनी मे भेल। जखन कि 13 आ 14  नंवबर कए फुलपरास, मधुबनी आ 20 कए जाता-काता, बेनीबग, मुजफ्फरपुर मे होएत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments