पत्रकार डॉ अनुज नहि रहलाह, रांची स्‍तब्‍ध, पटना में शोक

0
2

पटना । पत्रकार डॉ अनुज कुमार क रविदिन राति निधन भ गेल। ओ 40 वर्ष क छलाह। जानकारीक अनुसार हुनकर लीवर में संक्रमण छल। हुनकर ईलाज पटनाक आइजीआइएमएस मे चलि रहल छल। डॉ अनुज क परिवार मे हुनक पत्‍नी आ तीनटा पुत्री संग एकटा पुत्र अछि। हुनक अंतिम संस्‍कार सोमदिन पटना मे कैल गेल। दैनिक जागरण क रांची संस्‍करण मे कार्यरत डॉ अनुज अपन पत्रकारिता क शुरुआत प्रभात खबर क पटना संस्‍करण स केने छलाह। ओ दैनिक जागरण क गुमला आ रामगढ ब्‍योरो क रूप मे सेहो काज क चुकल छलाह। रांची क पत्रकारिता जगत मे चारि दिनक भीतर दूटा पत्रकारक निधन स स्‍तब्‍धता क स्थिति अछि। ज्ञात हुए जे दिवाली क राति युवा पत्रकार राजीव क सेहो निधन भ गेल छल। दूनू अपन पत्रकारिता क शुरूआत प्रभात खबर क पटना संस्‍करण स केने छलाह। अनुजक निधन पर हुनकर संग काज केनिहार पत्रकार मर्माहत छथि जखन कि पूरा पत्रकार जगत शोक संवेदना व्‍यक्‍त केलक अछि। इ’समाद परिवार सेहो हुनकर निधन पर श्रद्धांजलि अर्पित करैत अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page