पटना हवाईअडडा लेल निवेश करबा स भागि रहल अछि एएआई : नीतीश

पटना। बिहार सरकार पटना हवाई अडडा क मुद्दा पर सख्त रुख अख्तियार क लेलक अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे अगर भारतीय हवाई पत्तन प्राधिकरण (एएआई) पटना हवाई अड्डा क क्षेत्र मे विस्तार करए चाहैत अछि त हम एहि मामला मे मदद लेल तैयार छी। हम हुनका जमीन चिन्हित करि कए द देब, फेर हुनका भूमि अधिग्रहण क खर्च लागत। दरअसल, एहि खर्च स बचबा लेल ओ बेर-बेर एहि मामला मे टालमटोल क रहल छथि। अगर ओ एयरपोर्ट कए दोसर जगह ल जेबाक योजना बना रहल छथि त ओ एहि गपक सूचना सेहो राज्‍य सरकार कए दथि। हम एहि मामला मे सेहो हुनका भूमि देबा लेल सरकार तैयार छी, मुदा हुनका भूमि अधिग्रहण क खर्च त दियए पडत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे राज्य सरकार एहि संबंध मे हर मुमकिन मदद करबा लेल तैयार अछि, मुदा भारतीय हवाई पत्तन प्राधिकरण (एएआई) हर क्षण अपन रुख बदलैत रहैत अछि जाहि स काफी दिक्कत भ रहल अछि। ओ कहला जे अगर एएआई पटना हवाई अड्डा कए बंद करै चाहैत अछि, त हुनका एकरा बंद करि देबाक चाही। कुमार कहला जे एहि संबंध मे हम पूरा मदद करबा लेल तैयार छी। एहि मामला पर हम खुद पूर्व नागरिक उड्डयन मंत्री प्रफुल्ल पटेल स गप केने रही। तखन एकटा योजना पर सहमति सेहो बनल छल, मुदा किछु दिन क बाद मंत्रालय क अधिकारी ओहि सहमति स मुकरि गेलाह। एकर बाद सेहो हमर अधिकारी मंत्रालय क संग गप करैत रहलाह, मुदा मंत्रालय क अधिकारी सब बेर अपन गप बदलैत रहलाह। जखन नई दिल्ली मे अधिकारी बदलैत अछि, त ओकर संगहि मंत्रालय क नीति सेहो बदलि जाइत अछि। एहन मे हम भला कोना काज क सकैत छी?’ पटना हवाई अड्डा क नाम पर आब केंद्र सरकार संजय गांधी जैविक उद्यान कए खत्‍म करबाक प्रयास मे अछि। इ हमरा मंजूर नहि। ओ कहला जे एहि पर फिलहाल काज भ रहल अछि, मुदा हम एकटा हवाई अड्डा क कारण अपन हरित क्षेत्र कए बर्बाद त नहि क सकैत छी। हम साफ निर्देश दे चुकल छी जे कोनो गाछ कए कटबा स पूर्व वन विभाग क मंजूरी जरूरी होएत। कुमार साफ कहला जे अगर ओ एहि हवाई अड्डा कए बंद करबाक इच्‍छा रखैत छथि त हम कहब जे ओ एकरा बंद क दथि। मुदा इ हुनकर विफलता होएत, हमर नहि। आखिर हवाई यातायात केंद्र सरकार क दायरा मे अबैत अछि।
एकटा अन्‍य सवालक उत्‍तर मे मुख्‍यमंत्री कहला जे बिहार मे विकासक गति आओर तेज भ सकैत अछि मुदा केंद्र बिहारक योजना कए ठमका रखने अछि। ओ कहला जे रेलवे क पुल सबहक निर्माण मे शिथिलता बिहार क विकास मे बाधक बनल अछि। ओ कहला जे पता नहि रेलवे क मुनाफा कतए चल गेल? खुद रेल मंत्री रहि चुकल नीतीश कुमार कहला जे रेलवे क परियोजना बिहार मे एतबा मंथर गति स चलि रहल अछि जे इ कहब मुश्किल अछि जे इ कोन दशक मे पूरा होएत। ओ कहला जे राजग क कार्यकाल मे जाहि परियोजना क तारीख तय करि देल गेल छल ओहि मे लगातार देरी भ रहल अछि। ओ कहला जे गंगा पर मोकामा आ बख्तियारपुर मे रेल पुल निर्माण मे देरी बिहार क प्रति रेल मंत्रालय आ केंद्र क रुख कए देखा रहल अछि। राज्य सरकार सड़क बनेबा लेल टका द देलक अछि मुदा रेलवे पाछु अछि। गंगा नदी पर बनल महात्मा गांधी सेतु पर केंद्र क अनदेखी त जग जाहिर अछि। नीतीश कहला जे हम कई बेर पुल क समस्या कए समाधान देलहुं आ केंद्र ओकरा बेर बेर नामंजूर क देलक। एहन मे की कैल जा सकैत अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

  1. एकटा अन्‍य सवालक उत्‍तर मे मुख्‍यमंत्री कहला जे बिहार मे विकासक गति आओर तेज भ सकैत अछि मुदा केंद्र बिहारक योजना कए ठमका रखने अछि। ओ कहला जे रेलवे क पुल सबहक निर्माण मे शिथिलता बिहार क विकास मे बाधक बनल अछि। ओ कहला जे पता नहि रेलवे क मुनाफा कतए चल गेल? खुद रेल मंत्री रहि चुकल नीतीश कुमार कहला जे रेलवे क परियोजना बिहार मे एतबा मंथर गति स चलि रहल अछि जे इ कहब मुश्किल अछि जे इ कोन दशक मे पूरा होएत। ओ कहला जे राजग क कार्यकाल मे जाहि परियोजना क तारीख तय करि देल गेल छल ओहि मे लगातार देरी भ रहल अछि। ओ कहला जे गंगा पर मोकामा आ बख्तियारपुर मे रेल पुल निर्माण मे देरी बिहार क प्रति रेल मंत्रालय आ केंद्र क रुख कए देखा रहल अछि।……………………..गंगा नदी पर बनल महात्मा गांधी सेतु पर केंद्र क अनदेखी त जग जाहिर अछि। …………………………………………..सही गप्प ।

  2. पटनाक हवाई अड्डा देशक दोसर (लेह केर बाद) सभसँ खतरनाक हवाई अड्डा थिक । बिहारी यात्री सभक जान सँ एहि प्रकार खेलब केन्द्र – सरकार लेल उचित नञि ।

    संगहि छोट रनवे होयबाक कारणेँ “यात्री भाड़ा” सेहो देशक आन शहरक अपेक्षा बेसी अछि ।

Comments are closed.