पटना स पूर्णिया क बीच वोल्वो

0
3


पटना। पटना स पूर्णिया क बीच वोल्वो बस 31 मार्च स चलत। प्रति व्यक्ति 350 टका किराया रखल गेल अछि। प्रतिदिन इ बस राति 8.30 बजे पटना मे होटल कौटिल्य विहार स पूर्णिया क लेल आ पूर्णिया स पटना क लेल एहि समय पर खुलत। बस क संचालन बिहार राज्य पर्यटन विकास निगम करि रहल अछि। निगम एहि स पहिने पटना स रांची क बीच वोल्वो बस क संचालन करि रहल छल। पर्यटन निगम क अधिकारी क कहब अछि जे पूर्णिया-सिलीगुड़ी, पटना-वाराणसी,पटना-कोलकाता, पटना-सासाराम आदि स्थान क लेल बस क परिचालन पर सेहो विचार चलि रहल अछि। पुरान बस कए नीलाम करबाकप्रक्रिया शुरू करि देल गेल अछि।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page