पटना स गो एयर क एकटा आओर विमान सेवा


पटना । गो एयर दू अक्टूबर स अपन नव उड़ान जी- 343-344 शुरू करै जा रहल अछि। एकर बाद पटना पुणे स सीधा जुड़ि जाएत। इ विमान पटना स सांझखन साढ़े छह बजे चलि कए दिल्ली होइत राति साढ़े दस बजे पुणे पहुंचत। एहि उड़ान क शुरुआत क बाद स्थानीय जयप्रकाश नारायण अंतरराष्ट्रीय हवाई अड्डे स उड़ान भरनिहार विमान क संख्या 16 भ जाएत। गो एयर क सूत्र क अनुसार दू अक्टूबर स शुरू भ रहल इ विमान सांझ साढ़े चारि बजे दिल्ली स चलि कए छह बजे पटना पहुंचत। एहि ठाम स इ साढ़े छह बजे वापसी क उड़ान भरिकए राति आठ बजे दिल्ली उतरत। दिल्ली स राति साढ़े आठ बजे चलिकए इ राति साढ़े दस बजे पुणे पहुंचत। गो एयर क अधिकारी क अनुसार 180 सीटर एयरबस 320 मे यात्री क लेल अनेक सहूलियत उपलब्ध अछि। कोनो श्रेणी क यात्री एयरपोर्ट पर दू हजार क अतिरिक्त भुगतान करि बिजनेस क्लास मे यात्रा करि सकताह। इ सहूलियत बिजनेस क्लास मे सीट उपलब्ध रहलाह पर भेटत। ज्ञात हुए जे दू सितंबर स गो एयर पटना दिल्ली क बीच अपन उड़ान शुरू केने छल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments