पटना स्टेशन स सेहो चलत ईजी ऑटो


पटना । हवाई अड्डा पर भेटल सफलता स उत्साहित ईजी ऑटो वाला आब स्टेशन स सेहो अपन सेवा शुरू करबाक योजना बनेलक अछि। सब किछु ठीक रहल त पहिल अक्टूबर स इ सेवा आरंभ भ जाएत। एतबे नहि कंपनी अपन तमाम ऑटो कए नव लुक द रहल अछि।
कंपनी क स्थानीय निदेशक हरीश बी. अय्यर कहला जे ईजी ऑटो एयरपोर्ट पर अबनिहार यात्री कए बेहतर सेवा द रहल अछि। तमाम दुष्प्रचार क बावजूद एकर इस्तेमाल करनिहार एकरा सस्ता मानि रहल छथि। कहल जा रहल अछि जे कंपनी तमाम ऑटो कए नव लुक देल जा रहल अछि। रेलवे परिसर मे पार्किंग क लेल अधिकारी स गपशप चलि रहल अछि। उम्मीद अछि जे पहिल अक्टूबर स ईजी ऑटो क परिचालन शुरू भ जाएत।
कंपनी क ऑटो चालक क मानि त वर्षांे स जमल टैक्सी वाला क तमाम विरोध क बावजूद धंधा चलि रहल अछि। हिनकर दावा अछि जे दोसर ऑटोवाला हवाई अड्डा स स्टेशन क लेल कम स कम दू सौ टका वसूलैत अछि। जखनकि ईजी ऑटो क मीटर मे मात्र 72 टका लैत अछि। मीठापुर बस अड्डा क लेल मात्र 90 टका क बिल बनैत अछि। मारुफगंज मंडी क लेल 200 टका आ हाजीपुर स्टेशन क लेल 275 टका लेल जाएत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments