पटना मे शुरू भेल पहिल विश्व महिला कबड्डी प्रतियोगिता

पटना | पटना क नवनिर्मित कंकड़बाग स्थित पाटलिपुत्र स्पोर्ट्स कॉम्पलेक्स मे पहिल विश्व महिला कबड्डी प्रतियोगिता प्रारंभ भ गेल। एकर उद्घाटन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केलथि। एहि प्रतियोगिताक संग पटना विश्‍वस्‍तरीय प्रतियोगिताक आयोजन करनिहार शहरक सूची मे शामिल भ गेल। इ प्रतियोगिता चार मार्च तक चलत। एहि प्रतियोगिता मे कुल 16टा टीम भाग ल रहल अछि। उद्घाटन कार्यक्रम क दौरान रंगारंग कार्यक्रम पेश कैल गेल। एहि मौका पर भारतीय वायु सेना क महिला पैराट्रपर्स सब हैरतअंगेज प्रदर्शन देखेलथि। एहि कार्यक्रम क सीधा प्रसारण डीडी स्पोर्ट्स पर कैल गेल। राज्य कबड्डी संघ क सचिव कुमार विजय कहला जे भारतीय एमेच्योर कबड्डी महासंघ, एशियाई कबड्डी महासंघ आओर अंतर्राष्ट्रीय कबड्डी महासंघ क तत्वावधान मे आयोजित एहि प्रतियोगिता क सबटा मैच दूधिया रोशनी आओर सिंथेटिक मैट पर खेलल जाएत। विजय कहला जे सबटा टीम कए चार पुल मे बांटल गेल अछि। पूल-ए मे भारत, कोरिया, चीनी ताइपे आ मेक्सिको कए राखल गेल अछि, जखनकि पूल-बी मे थाईलैंड, जापान, तुर्किस्तान आ कनाडा कए सम्मिलित कैल गेल अछि। पूल-सी मे बांग्लादेश, श्रीलंका, मलेशिया आओर इटली क टीम अछि, जखनकि पूल-डी मे ईरान, इंडोनेशिया, नेपाल आओर अमेरिका कए राखल गेल अछि। एकर समापन चार मार्च कए होएत। ओहि दिन पुरस्कार वितरण सेहो कैल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments