पटना मे रिंग बस सेवा 15 स

पटना। आखिर ओ दिन आबि गेल जेकर करीब चारि साल स बाट तकैत रही। जानकारीक अनुसार 15 मई कए मुख्यमंत्री नीतीश कुमार राजधानी मे रिंग बस सेवा क शुरूआत करताह। बिहार राज्य पथ परिवहन निगम क नियंत्रणाधीन इडेन कंपनी 7टा रिंग रूट लेल 70टा बस सडक पर उतरबा लेल पटना पहुंच गेल अछि। मंगलदिन निगम आ कंपनी क अधिकारी रिंग सेवा क रूट आ बस क ठहराव स्थल क निरीक्षण करलाक बाद एकर जानकारी देलथि। इंडेन कंपनी क सीएमडी ई. सच्चिदानंद राय कहला जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ निगम क प्रशासक यू.एस.कुमावत क प्रेरणा स इ सेवा शुरू कैल जा रहल अछि। रिंग सेवा मे 70टा बस नन एसी अछि जखन कि 8टा एसी बस सेहो जल्‍द सडक पर उतरत। सब रूट पर कंपनी क दिस स गुलाबी लेडीज स्पेशल बस चलाउल जाएत। जाहि मे संवाहक तक महिला रहतीह। एकर अतिरिक्त सबटा बस मे महिला क लेल 12टा सीट आरक्षित रहत। कोलकाता मे कंपनी क कंट्रोल रूम बनाउल गेल अछि। श्री राय कहला जे रिंग सेवा क सबटा बस मे जीपीएस लागल अछि। एकर अतिरिक्त जेबकतरा आ छेड़खानी करनिहार पर नजर रखबा लेल बस मे वीडियो कैमरे सेहो लागल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments