पटना मे यूआइडी लेल लागल कतार

प्रशांत सिन्‍हा
पटना ।
बिहार मे यूआइडी (यूनिक आइडेंटिफिकेशन) कार्ड आइ स बनब शुरू भ गेल। एहि लेल डाकघर मे लंबा कतार लागल अछि। डाक घर मे इ मुफ्त मे बनाउल जा रहल अछि। एकर शुरुआत पटना क जीपीओ मे भेल। जीपीओ आ बांकीपुर डाकघर स शुरुआत क बाद प्रथम फेज मे राज्य क 40टा प्रधान डाकघर आओर दोसर फेज मे 160टा डाकघर मे यूआइडी बनत।
यूआइडी कार्ड बनेबा लेल व्यक्ति क नाम, पता, पिता-माता/अभिभावक क नाम, जन्मतिथि, उम्र, लिंग, आवासीय पता, फोन/मोबाइल नंबर, बैंक एकाउंट क नंबर आदि भरबाक अछि। फॉर्म‘यूआइडी डॉट एनआइसी डॉट इन’ स सेहो डाउनलोड कए सकैत छी, मुदा ओकरा जमा करबा लेल आ कार्ड बनेबाक लेल डाकघर जेबाक जरूरी अछि। ओहि ठाम अहांक चेहरा क फोटो लेल जाएत, दूनू हाथक दस टा अंगुरी क प्रिंट दूनू आंखिक फोटो सेहो लेल जाएत। एकर अलावा एहि कार्ड बनेबा लेल आवेदक लग मे अपन निवास स्थान क कोना आइडी प्रूफ होएब अनिवार्य अछि। अगर अपन कोनो आइडी प्रूफ नहि अछि त मुखिया, सरपंच या कोनो एहन व्यक्ति क जिनकर पहचानपत्र हुए, ओकर छाया प्रति क आधार पर कार्ड बनाउल जाएत। एकरा लेल लिए कार्डधारक स आवेदन पत्र पर हस्ताक्षर करबाउल जाएत।
इ कार्ड बनलाक बाद भारत मे व्यक्ति क पहचान यूआइडी पर अंकित विशेष नंबर स होएत। कार्ड पर 16 डिजिट क नंबर होएतजाहि मे अंगरेजी क शब्द आ अंक क गणितीय नंबर देल रहत। एहि नंबर स व्यक्ति क पहचान होएत। इ नंबर रैंडम होएत। एक-दोसर क सीरियल स मेल नहि होएत।
मोबाइल कनेक्शन लेबा लेल, गैस कनेक्‍शन लेबा लेल या बैंक एकाउंट आदि खोलेबाक लेल सिस्टम मे नंबर देला पर व्यक्ति क बारे मे तमाम तरह क जानकारी मिनट मे भेट जाएत।
यूआइडी कार्ड एक्सेस करबा लेल बिहार क सबटा मोबाइल कंपनी, एलपीजी कंपनी आ 60टा बैंक स गप भ चुकल अछि। जुलाई स एहि सब ठाम कार्ड क उपयोग भ सकत। एकरा पूरा देश क सर्विस प्रोवाइडर निजी आ सरकारी संस्थान स इंटरलिंक कैल जा रहल अछि। नरेगा आ समाज कल्याण योजना कए सेहो एकरा स जोडल जा रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

    • UID NO.12 DIGIT KE NUMERIC NUMBER NO HOIT AICH NAI KI ALFANUMERIC JE
      RENDUMLY GENERATE HOIT AICH
      PRASHANT SIR,
      AHI SENTENCE KE PUNARMULAYANKAN KA K SNSODHAN K DEBAY
      UID KE PRACHAR PRASAR KA K SAMAST NAGRIC KE JAGRUK
      KARBAK K LEL DHANYABAD

Comments are closed.