पटना मे बिल गेट्स


पटना। दुनिया क दोसर सबस रईस माइक्रोसाफ्ट कंपनी के अध्यक्ष बिल गेट्स 12 मई कए पटना मे रहताह। गेट्स क इ पहिल बिहार दौरा अछि। एक दिवसीय यात्रा मे ओ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क संग एकटा सहमति पत्र पर हस्ताक्षर करताह। जानकारी क अनुसार बिल गेट्स फांउडेशन खगडिय़ा जिला क गुलेरिया मुसहरी गाम कए गोद लेताह। संगहि कोसी क्षेत्र क अन्य किछु गाम मे स्वास्थ्य क्षेत्र मे काज क शुरुआत करताह। गेट्स क संग एकटा टीम सेहो आबि रहल अछि, जे खगडिय़ा आ कोसी इलाका क दौरा करत। उल्लेखनीय अछि जे पिछला भारत यात्रा क दौरान बिल गेट्स  दिल्ली स मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क संग वीडियो कान्फ्रेंसिंग पर गप केने छलाह। ओ मुख्यमंत्री क समक्ष बिहार मे स्वास्थ्य क्षेत्र मे काज करबा क इच्छा रखने छलाह। एकर बाद फांउडेशन क वरीय अधिकारी  बिहार क दौरा केने छलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments