पटना मे टूटत अतिक्रमण लेल बनाउल गेल कईटा मंदिर

0
4
esamaad maithili newspaper

पटना। सरकारी जमीन पर कब्‍जा करबाक प्रयास मे बनल मंदिर सब कए तोडबाक प्रक्रिया सरकार शुय क देलक अछि। पटना हाईकोर्ट सेहो सरकार कए एहि लेल आदेश देलक अछि। हाइकोर्ट पथ निर्माण विभाग कए अदालतगंज भ कए अशोक सिनेमा हाल क सामने जा रहल सड़क पर बनल शिवमंदिर आ अन्य अवैध संरचना कए हटेबाक आदेश देलक अछि। कोर्ट क मुताबिक शिवमंदिर सरकारी जमीन कए कब्‍जा करबा लेल बनाउल गेल अछि आ एहि कारण स इ सड़क संकीर्ण भ गेल अछि। कोर्ट क आदेशक बाद बिहार लोक भूमि अतिक्रमण अधिनियम 1956 क अन्तर्गत पटना सदर क अंचल अधिकारी राजधानी मे छहटा मंदिर कए नोटिस जारी क शीघ्र स शीघ्र जमीन खाली करबाक आदेश देलथि अछि।
अंचल अधिकारी अपन नोटिस मे कहला अछि जे सरकारी भूमि पर अवैध रूप स मंदिर बनाकए अतिक्रमण कैल गेल अछि। ताहि लेल मंदिर कए शीघ्र स शीघ्र हटा लेल जाए। अंचल अधिकारी दिस स बोरिंग रोड चौराहा स्थित शिव मंदिर, बोरिंग कैनाल रोड स्थित पंचमुखी महावीर मंदिर, बोरिंग कैनाल रोड आ सहदेव महतो मार्ग क मोड़ पर स्थित काली मंदिर, मीठापुर बस स्टैंड आ चाणक्या विश्वविद्यालय क मोड़ पर स्थित मंदिर, चिरैयाटांड आरओबी क नीचा दक्षिण कात बनल मंदिर आ बहादुरपुर आरओबी क उत्तरी रोड क कात मे बनल मंदिर कए सेहो नोटिस जारी कैल गेल अछि। एहि सब मंदिर क पुजारी आ व्यवस्थापक स शीघ्र कारणपृच्छा दायर करबा लेल कहल गेल अछि।
ज्ञात हुए जे अदालतगंज स्थित मंदिर कए पहिनो पथ निर्माण विभाग हटेबाक प्रयास केने छल मुदा तखन मंदिर क पुजारी क कहब छल जे मंदिर, ट्रस्ट क जमीन पर बनल अछि। कोर्ट मे सुनवाई क दौरान कहल गेल जे रास्ता पर अवरोध उचित नहि अछि, एहि स आम लोक कए दिक्‍कत होइत अछि। एहि तर्क क संग कोर्ट मोहन प्रसाद क याचिका निष्पादित क देलक।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page