पटना मे चालू भेल बिहार क सबस पैघ फ्लाइओवर

पटना : मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बेली रोड पर राज्य क सबस लंबा फ्लाइओवर क लोकार्पण करैत केंद्र सरकार पर जमि कए हमला केलथि । ओ कहला जे किछु लोक मात्र कहैत अछि जे हम करब, मुदा बेर बेर विश्‍वास तखने जगैत छै जखन अहां जमीन पर काम करब। उल्‍लेखनीय अछि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अक्टूबर 2012 मे एहि फ्लाईओवर निर्माण लेल नींव रखने छलाह आ 30 माह क अंदर फ्लाइओवर क निर्माण पूरा करबाक लक्ष्य रखल गेल छल। एहि फ्लाइओवर क निर्माण क जिम्मेदारी बिहार राज्य पुल निर्माण निगम कए देल गेल छल। एकर बनबा स बेली रोड पर वाहन क बोझ कम भ गेल आ पटना स दानापुर आवागमन आसान भ गेल। इ पुल फोर लेन अछि। एक लेन क चौड़ाई 24 फीट अछि । एहि पर आराम स एक संग तीन ट्रक ठार भ सकैत अछि। मास्टिक लेयर, बिना जर्क क एक्सपैंशन, रेलिंग आ डिवाइडर पर डेलिनेटर, एक्सीडेंट प्रूफ, 100 लीटर क गमला आदि एकर खासियत अछि, जे दोसर ओवरब्रिज आ फ्लाईओवर स एकरा अलग करैत अछि। बिहार राज्य पुल निर्माण निगम क इंजीनियर कहैत छथि जे एकरा खास निगरानी मे तैयार कैल गेल अछि । हर हाल में एक्सीडेंट प्रूफ बनेबा क हर कोशिश कैल गेल अछि। एहि पर गाड़ी मोडि कए एक लेन स दोसर लेन पर जेबाक सुविधा नहि अछि। इ बिहार क पपहिल फास्टेस्ट फ्लाईओवर अछि।

पुल क खासियत

– 2.7 किमी लंबा आ 96 फुट चौड़ा ।

– पुल क दोसर सिरा स यू टर्न संभव।

– सबस तेज रफ्तार वाला पुल ।

– गाड़ी क गुजरबा पर जर्क नहि होएत महसूस ।

– जल जमाव स निपटबा लेल सेंट्रल वर्ज सिस्‍टम ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.