पटना मे खुलल पहिल नान स्पेस पेट्रोल पंप

पटना । राजधानी क राजेन्द्र नगर पेट्रोल पंप पर बिहार-झारखण्ड क पहिल नान स्पेस पंप शुरू भ गेल। पंप क उद्घाटन इण्डियन आयल कॉरपोरेशन क पूर्वी क्षेत्र क महाप्रबंधक पी. डे केलथि। एहि अवसर पर डे कहलथि जे नान स्पेस पेट्रोल पंप समय क मांग अछि। शहर मे कम जगह भेलाक कारण एहि तरह क पंप क मांग बढ़ि रहल अछि। एहि पंप क विशेषता इ अछि जे गाड़ी क सामने सब किछु दिखाई देत। गाड़ी मे तेल भरैत काल मात्रा आ दर देखबा लेल मुंह घुमेबाक जरूरत नहि पड़त। इ पंप देखबा मे सेहो काफी आकर्षक अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments