पटना मे खुलल डोमिनोज पिज्जा स्टोर

पटना । डोमिनोज पिज्जा क बिहार मे पहिल स्टोर पटना मे खुलल। भारत, नेपाल, बांग्लादेश आ श्रीलंका मे विपणन अधिकारवाला कंपनी जुबिलियंट फूड वर्क्स लिमिटेड समूह क सीईओ अजय कौल कहला अछि जे पटना समेत राज्यक आन शहर मे सेहो एकर आओर स्टोर जल्द खोलल जाएत।
पटना क एक्जिवीशन रोड मे खुले डोमिनोज पिज्जा क बिहार मे पहिल स्टोर छी। स्टोरक विधिवत उद्घाटन करैत काल कहला जे पटना मे इ स्टोर जाहि प्रकार स विपणन केलक अछि ओ उत्साहवर्धक अछि आ पटना मे दिन-प्रतिदिन बढ़ि रहल आर्थिक गतिविधि कए देखा रहल अछि। ओ कहला जे अगिला एक दू मास मे हुनकर कंपनी पटना क कंकडबाग आ बोरिंग रोड इलाका मे सेहो अपन दूटा स्टोर खोलबाक निर्णय लेलक अछि।
ओ कहला जे डोमिनोज पिज्जा क पूरा भारत क 79 नगर मे 240टा स्टोस अछि, जतए ओ अपन 10 हजार कर्मचारी क बदौलत उपभोक्ता कए होम डिलीवरी क संग डाईनिंग-इन क सुविधा उपलब्ध करा रहल छथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments