पटना मे खुलत बिहार क पहिल ई-लाइब्रेरी

पटना। देश क दोसर सबस तेज विकास दर वाला राज्य बिहार क राजधानी पटना मे जल्द राज्यक पहिल ई-लाइब्रेरी खुलत। अधिकारीक कहब अछि जे इ पहिल ई-लाइब्रेरी खुदा बख्श ओरियंटल पब्लिक लाइब्रेरी मे खोलल जा रहल अछि। एहि सुविधा क शुरू भेला स देश क पहिल प्रधानमंत्री पंडित जवाहरलाल नेहरू क इच्छा सेहो पूरा भ जाएत, किया कि पंडित जी 1950 मे एहि ठाम भ्रमण क दौरान आगन्तुक पुस्तिका मे लिखने छथि जे हुनकर इच्छा छैन जे अभिलेखिय सामग्री कए आधुनिक तकनीक स लैस कैल जेबाक चाही।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments