पटना मे खुलत चीनी अध्‍ययन केंद्र

पटना। बिहार क छात्र कए आब चीनी भाषा सीखबा लेल राज्य स बाहर जेबाक कोनो जरूरत नहि, किया जे चीन क एकटा विश्वविद्यालय पटना विश्वविद्यालय मे अपन एकटा अध्ययन केंद्र खोलबाक प्रस्ताव सरकार कए देलक अछि।
पटना विश्वविद्यालय क एकटा अधिकारी कहला जे चीन क विश्वविद्यालय पटना विश्वविद्यालय क कुलपति कए एकटा पत्र लिखकए एकटा अध्ययन केंद्र खोलबाक प्रस्ताव रखलथि अछि। एकरा लेल पांच वर्ष क करार हेबाक अछि। पटना विश्वविद्यालय एकरा लेल काज शुरू करि देलक अछि। उल्लेखनीय अछि जे एहि वर्ष फरवरी माह मे काउंसिल जनरल पीपुल्स रिपब्लिक ऑफ चाइना विश्वविद्यालय क अधिकारी जैंग जिलांग पटना आएल छलाह। ओहि समय मे चाइना विश्वविद्यालय आओर पटना विश्वविद्यालय क बीच शैक्षणिक विकास आओर संस्कृति क आदान-प्रदान पर चर्चा भेल छल। एकर अलावा शोध विषय कए लकए सेहो दूनू विश्वविद्यालय क अधिकारी क बीच गप भेल छल। एहि विषय पर कुलपति क कहब अछि जे अध्ययन केंद्र खोलबा लेल चाइना विश्वविद्यालय द्वारा सबटा जानकारी मांगल गेल अछि। एकर निदेशक लेल कोनो लोक कए सेहो ताकल जा रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments