पटना मे एसी बस क परिचालन शुरू

पटना। इडेन बस सर्विस सोमदिन स दोबारा एसी बस क परिचालन शुरू भ जाएत। राजधानी मे रिंग बस सेवा शुरु भेलाक बाद पिछला साल नवम्बर मे यात्री क ठंड क कारण एसी बस क परिचालन बंद करि देल गेल छल। इडेन बस सर्विस क मुख्य संचालन अधिकारी कुणाल शर्मा क अनुसार गर्मी क आहटक संगहि एक बेर फेर स एसी बस क परिचालन शुरू कैल जा रहल अछि। राजधानी क तीनू रूट पर सोमदिन स सातटा एसी बस चलत। गांधी मैदान- दानापुर रूट पर ब्लू रंग क तीनटा एसी बस चलत। गांधी मैदान- गायघाट रूट पर पीयर रंग क दूटा आ गांधी मैदान- कुर्जी- बोरिंग रोड- पटना जंक्शन- गांधी मैदान रूट पर मैरून रंग क दूटा एसी बस चलत। एहि रूट पर दस स बीस टका किराया निर्धारित कैल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments