पटना मे अपोलो समूह क हॉस्पिटल जल्द

पटना । अपोलो समूह अपन 200 बेडवाला मल्टी सुपर स्पेशियलिटी हॉस्पिटल पटना मे बनाउत। समूह क डिप्टी मार्केटिंग मैनेजर पुनीत झा आ हॉस्पिटल क न्यूरो सर्जन डॉ राजेंद्र प्रसाद क अनुसार हॉस्पिटल पर राज्य सरकार स गप लगभग भ चुकल अछि आ किछु कागजी मामला फंसल अछि। एहि दिशा मे काज कए आगू बढेबा लेल समूह क एकटा दल आइ पटना मे अछि। अगर सब किछु ठीक रहल, त एकटा पैघ अस्पताल एहि ठाम अपन सेवा शुरू करत।
सरकारी सूत्रक कहब अछि जे हॉस्पिटल क लेल पटना मे तीन एकड़ जमीन क जरूरत अछि। एहि लेल वार्ता लगभग खत्‍म अछि आ कागजी प्रक्रिया चलि रहल अछि। एकरा लेल सरकार स जमीन लगभ्‍ाग भेट गेल अछि, ओना एकर आधिकारिक घोषणा नहि भेल अछि। सरकार द्वारा जमीन उपलब्ध हस्‍तानांतरित भेला पर एकर विधिवत घोषणा आ शिलान्यास होएत। सूत्रक कहब अछि जे शिलान्यास क 16 मास क भीतर इ अस्पताल अपन सेवा शुरू करि देत। हालांकि हॉस्पिटल क शुरू भेला स पूर्व सब मास अपोलो अस्पताल क विशेषज्ञ चिकित्सक क एकटा टीम पटना आबि कए आउटडोर मरीज क जांच आ परामर्श देत। टीम मे न्यूरोलॉजिस्ट, न्यूरो सर्जन, कार्डियोलॉजिस्ट, कार्डियक सर्जन, आथरेपेडिक आ स्पाइनल सर्जन सन विशेषज्ञ शामिल हेताह।
ज्ञात हुए जे पैघ संख्या मे बिहार क मरीज बेहतर इलाज लेल दिल्ली आ दोसर शहर मे पलायन करैत अछि। एहन मे मरीज कए न केवल इलाज, बल्कि इलाजक बाद परामर्श क सुविधा सेहो एहि ठाम भेट सकत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments