पटना मेट्रो क एलायनमेंट मंजूर, सरपेंटाइन रोड मे मेट्रो होएत अंडरग्राउंड

पटना : पटना मेट्रो क एलायनमेंट पर सरकार क स्तर पर मुहर लागि गेल अछि। आब एहि एलायनमेंट कए विभाग कंसलटेंट कए पठा देत। सरकार क स्तर पर फिलहाल दू स्ट्रेच मे मेट्रो कए मंजूरी भेटल अछि। आधिकारिक जानकारी क अनुसार एलायनमेंट कए मुख्यमंत्री क सहमति भेट गेल अछि। एकर बाद एहि परियोजना मे गति एबाक संभावना अछि। कंसलटेंट फर्म आब एलायनमेंट क आधार पर अपन आगूक काज शुरू करत। जानकारी क अनुसार पहिल फेज मे पटना मेट्रो प्रोजेक्ट लगभग तीस किमी क होएत। एहि मे दानापुर स लकए दीदारगंज क किछु हिस्सा शामिल कैल गेल अछि। गांधी मैदान, सगुना मोड़ आ दीदारगंज स मेट्रो निर्माण शुरू होएत।
पटना मेट्रो क जाहि एलायनमेंट कए मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मंजूरी देलथि अछि ओकर अनुसार एकर एकटा स्ट्रेच दानापुर स्थित सगुना मोड़ स शुरू होएत। एहि ठाम मेट्रो एलिवेटेड स्वरूप मे होएत। आगू आबि कए आईजीआईएमएस लग एकटा स्टेशन बनाउल जाएत। पूरा एलिवेटेड स्वरूप मे मेट्रो सचिवालय होइत सरपेंटाइन रोड तक पहुंचत। सरपेंटाइन रोड मे मेट्रो कए अंडरग्राउंड क देल जाएत। इ अंडरग्राउंड लेन सेहो काफी लंबा होएत। सरपेंटाइन रोड स मेट्रो वीरचंद पटेल पथ होइत आयकर गोलंबर आउत। एहि ठाम सेहो एकटा स्टेशन तय अछि। एकर बाद डाकबंगला चौक होइतइ गांधी मैदान जाकए खत्म भ जाएत। दोसर स्ट्रेच दीदारगंज लग स शुरू होएत। दीदारगंज स न्यू बाइपास होइत एकर हिस्सा पुरनका बाइपास होइत गांधी मैदान दिस आउत। सब किछु ठीक रहल त एहि परियोजना पर अगिला सालक अंत तक काज शुरू भ जाएत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments