पटना- बख्तियारपुर सड़क चार लेन बनेबा लेल 605.82 करोड़ मंजूर

नई दिल्ली । बिहार संग उत्तर प्रदेश, हरियाणा आ राजस्थान मे विभिन्न राजमार्ग कए चौड़ा करबा क लगभग 3028 करोड़ टकाक प्रस्ताव पर केंद्र सरकार मुहर लगा देलक अछि। बुनियादी ढांचा संबंधी कैबिनेट समिति क बैठक मे इ फैसला लेल गेल। बैठक क बाद सूचना प्रसारण मंत्री अंबिका सोनी कहलथि जे बिहार मे राष्ट्रीय राजमार्ग-30 पर पटना-बख्तियारपुर खंड कए चारि लेन क बनेबाक प्रस्ताव कए मंजूर करि लेल गेल अछि। इस परियोजना पर 605.82 करोड़ टका क अनुमानित खर्च होएत। एकटा सवाल क जवाब मे अंबिका कहलथि जे सडक परिवहन एवं राजमार्ग मंत्री कमलनाथ बैठक मे मौजूद नहि छलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments