पटना डेयरी प्रोजेक्ट ने लहराया देशभर में परचम

sudha
पटना। पटना डेयरी प्रोजेक्ट चारिम बेर देश मे राष्ट्रीय उत्पादकता पुरस्कार हासिल करि देशभर मे परचम लहरा देलक अछि। प्रोजेक्ट क उत्पाद क गुणवत्ता कए देखिकए इ पुरस्कार प्रदान कैल गेल अछि। पिछला 24 सितम्बर कए दिल्ली मे केन्द्रीय कृषि राज्य मंत्री डॉ केवी थोमस कम्फेड क प्रबंध निदेशक अतीश चन्द्रा, पटना डेयरी प्रोजेक्ट क अध्यक्ष राजेन्द्र प्रसाद आ प्रबंध निदेशक सुधीर कुमार सिंह कए राष्ट्रीय उत्पादकता पुरस्कार प्रदान केलथि। एहि मौका पर राष्ट्रीय उत्पादकता परिषद् क निदेशक एनसी वासुदेवन सेहो उपस्थित छलाह। बिहार क लेल इ गौरव क गप अछि जे पटना डेयरी प्रोजेक्ट कए चारिम बेर एहि पुरस्कार स नवाजल गेल अछि। एहि स पूर्व पटना डेयरी प्रोजेक्ट कए बेस्ट यूटिलिटी सर्विस एण्ड सिस्टम एवार्ड स सम्मानित कैल जा चुकल अछि। पटना डेयरी प्रोजेक्ट क प्रबंध निदेशक सुधीर कुमार सिंह पुरस्कार हासिल करबाक श्रेय राज्य क पशुपालक आ संस्था क अधिकारी आ कर्मचारी कए देलथि। पुरस्कार प्राप्त करला पर प्रोजेक्ट कए पशुपालन मंत्री रामनारायण मंडल आ सहकारिता मंत्री गिरिराज सिंह बधाई देलथि अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments