पटना क भीड़भाड़ वाला इलाका मे लागत सीसीटीवी

पटना। मुजफ्फरपुर क बाद पटना बिहार क दोसर शहर बनत, जाहि ठाम भीड़भाड़ वाला इलाका मे सीसीटीवी लगेबाक योजना कए मंजूरी देल गेल अछि। मुंबई मे आतंकी हमला क पहिल बरखी पर एहि योजना कए मंजूरी देल गेल। राजधानी क पांच टा इलाका एहि लेल चिह्नित कएल गेल अछि। एहि ठाम क्लोज सर्किट टीवी लगाउल जा रहल अछि, जेकरा पुलिस नियंत्रण कक्ष मे बनल अत्याधुनिक सेंटर स जोड़ल जाइत। ओहि ठाम हर इलाका मे लागल सीसीटीवी कए अलग-अलग मॉनीटर स जोडि़ कए पुलिस अधिकारी कए ड्यूटी लगाउल जाइत। डीजीपी आनंद शंकर कहला जे पुलिस मुख्यालय एहि योजना क जिम्मा बेल्ट्रान कए देल गेल अछि। बेल्ट्रान स सब टा व्यवस्था हेबाक बाद इ सिस्टम लागू होइत। एहि योजना मे पहिने पटना जंकशन, मीठापुर बस स्टैंड, डाकबंगला चौराहा, मौर्यालोक आ बोरिंग रोड इलाका मे सीसीटीवी लगाउल जाइत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments