पटना क आईआईटी क लेल शीघ्र शुरू होएत काज

पटना। राज्य सरकार पटना जिला क बिहटा उपडिवीजन मे 500 एकड़ जमीन आइआईटी क लेल हासिल क लेलक। राज्य क राजधानी स 40 किमी दूर बिहटा क नजदीक अमराहा, दयालपुर आ बिलावरपुर मे एहि जमीन कए हासिल कएल गेल। पटना क आईआईटी अगस्त 2008 स पटना पॉलिटेक्नीक में शिफ्ट कएल गेल कैंपस मे काज करि रहल अछि। ओत दो बैच मे लगभग 200 टा छात्र अछि। आईआईटी राज्य सरकार स अनुरोध केने छएल जे आवंटित भूमि पर दीवार क निर्माण कएल जाए, जेहि स भविष्य मे कोनो तरहक परेशानी नहि हुए। आईआईटी क भरोसा अछि जे नव कैंपस अगिला दो-ढाई साल मे बनि कए तैयार भ जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments