पटना कजैविक उद्यान मे शीघ्र बनत वाटरफॉल

patna zooपटना। संजय गांधी जैविकउद्यान प्राकृतिक सौंदर्य बढ़ेबा लेल जल्द एकटा कृत्रिम पहाड़ी आ वाटरफॉल लगबाकयोजना बना रहल अछि। जैविक उद्यान कए निदेशक अनुसार उद्यान कए पर्यटन स्थल बनेबाक दिश सेहो काज करबाक लेल योजना बनाउल जा रहल अछि। एकरा अतिरिक्त लोक कए उपद्रव स बचेबा लेल चिडिय़ाघर कए जानवर क अनुकूल बनाउल जा रहल अछि। संग ही शारीरिक रूप स विकलांग लोक कए लेल चिडिय़ाघर मे सुविधा बढ़ाउल जा रहल अछि।
योजना क मुताबिक चिडिय़ाघर क गेस्ट हाउस नजदीक बैसबाक व्यवस्था सेहो कएल जाइत आ ओहि ठाम कृत्रिम रॉक पहाड़ी आ वाटरपार्क क आगू वाटरफॉल बनबाक योजना अछि। अधिकारी क अनुसार पार्क क अन्य क्षेत्र मे जे भूमि अछि ओहि मे रोज गार्डेन आ अन्य नव किस्म क पौधा लगेबाक सेहो योजना अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments