पटना एयरपोर्ट देश मे अव्वल

पटना। यात्री क संख्या क उछाल क मामला मे जय प्रकाश नारायण अंतरराष्ट्रीय एयरपोर्ट देश भरि क सबटा एयरपोर्ट कए पीछु छोडि देलक अछि। पिछला वित्तीय वर्ष क तुलना मे एयरपोर्ट पर 52 प्रतिशत यात्री क संख्या मे वृद्धि दर्ज कैल गेल अछि। वित्तीय वर्ष 2010-11 मे 8,38,509 यात्री यात्रा केलथि। वित्तीय वर्ष 2009-10 मे 5,52,440 आ 2008-09 मे 344446 यात्री क संख्या दर्ज कैल गेल छल। द्वितीय स्थान पर नागपुर एयरपोर्ट अछि। दिल्ली चेन्नई, कोलकाता, मुंबई, लखनऊ आओर गोवा एयरपोर्ट पर यात्री क संख्या मे उछाल देखल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. If this airport will be shifted to BIHTA & the RUNWAY LENGTH will be MORE THAN 8 kms – the this TRAVELLER BOOM will be even more.

Comments are closed.