पटना एम्स क संस्थापक निदेशक बनलाह डा जीके सिंह

पटना। डा. सिंह गिरीश कुमार सिंह पटना एम्स क संस्थापक निदेशक नियुक्त भेलाह अछि। एकर अधिसूचना जारी भ गेल अछि। किंग जार्ज मेडिकल कॉलेज (केजीएमसी), लखनऊ स एमबीबीएस आ अमेरिका क पेनसिल्वेनिया विश्र्वविद्यालय स क्लिनिकल एपीडीमेलाजी मे मास्टर डिग्री लेनिहार डा सिंह अंतरराष्ट्रीय स्तर पर नेपाल मे बीपी कोइराला हेल्थ एंड साइंस क स्थापना मे सलाहकार रहि चुकल छथि। 21 दिसंबर, 1952 को लखनऊ मे जन्मल डा. सिंह कए पीजी मे शोध पत्र लेल बीएन सिन्हा गोल्ड मेडल अवार्ड भेट चुकल अछि। 1971-75 बैच क सिंह पढ़ाई क दौरान 17 गोल्ड मेडल आ 36 अकादमी पुरस्कार जीत चुकल छथि। मरीज क प्रति मानवीय व्यवहार लेल हिनका बेस्ट हाउस आफिसर अवार्ड भेट चुकल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments