पटना आ वैशाली क बीच बनत छह लेनक पूल

पटना : मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे राजधानी पटना आ वैशाली क बीच गंगा नदी पर छह लेन क पुल बनत। एकर निर्माण स बुद्ध सर्किट क भ्रमण आओर आसान भ जाएत। मुख्यमंत्री, बांकीपुर जेल परिसर मे बुद्ध स्मृति संग्रहालय क उद्घाटन करैत कहला जे राज्य मे आवागमन क सुविधा मे बढोतरी भेल अछि। संग्रहालय क निर्माण 25 करोड़ क लागत स कैल गेल अछि। एहि मौका पर भूटान क राजकुमारी हर रायल हाईनेस प्रिंसेस आशी केसांग बांग्मो बांग्चुक विशिष्ट अतिथि क तौर पर उपस्थित छलीह। 39 देश स आयल बौद्ध भिक्षु आ लामा क प्रतिनिधिमंडल सेहो छल। मुख्यमंत्री अंतरराष्ट्रीय बुद्ध कन्फेडेरेशन क सदस्य स आग्रह केलथि जे ओ बिहार भ्रमण करथि। ओ कहला जे बोधगया क संग-संग राजगीर, नालंदा, वैशाली, केसरिया आ अन्य बुद्ध सर्किट क विकास लेल योजना बनाउल गेल अछि। नालंदा-बख्तियारपुर होइत बख्तियारपुर मे गंगा पर छह लेन क पुल बनाउल जा रहल अछि। संग्रहालय मे मेडिटेशन सेंटर, मेडिटेशन गुफा क संग-संग हमर गौरवशाली इतिहास कए परिलक्षित करैत अनेक प्रदर्शन राखल गेल अछि। राज्यक चुनिन्दा कलाकार क कृति सेहो एहि ठाम राखल गेल अछि। जेकर भूटान क राजकुमारी आ अन्य विदेशी पाहुन अवलोकन केलथि। इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.