पटना आ मोकामा मे एहि साल शुरू होएत पुल निर्माण

पटना। मोकामा मे राजेन्द्र पुल क समानांतर आ पटना मे गांधी सेतु क समानांतर पुल क निर्माण कार्य जल्द प्रारंभ होएत। पथ निर्माण मंत्री नंदकिशोर यादव कहला अछि जे मोकामा मे गंगा नदी पर राजेन्द्र पुल क समानांतर आओर ओकर 500 मीटर क भीतर डाउन स्ट्रीम मे नव पुल क निर्माण कैल जा रहल अछि। वित्तीय वर्ष 2012 मे निर्माण क काज आरंभ भ जाएत। एहि लेल टेंडर भ चुकल अछि। एहि संग पथ निर्माण मंत्री कहला जे गांधी सेतु क समानांतर गंगा नदी पर एकटा नव पुल बनत। श्री यादव कहला जे गांधी सेतु कए ठीक करब कठिन काज अछि आ एहि मे काफी समय आ धन सेहो लागत। एहन मे एकटा नव पुल क आवश्यकता अछि। कन्सल्टेंट एकर समानांतर पटना क छोटी दरगाह स वैशाली क विदुपुर क बीच एकटा नव समानांतर पुल लेल फिजिबिलिटी रिपोर्ट तैयार केलक अछि। पब्लिक प्राइवेट पार्टनरशिप(पीपीपी) मोड मे एहि पुल क निर्माण होएत।कन्सल्टेंट एहि मास क अंत तक अपन रिपोर्ट सौंप देत। ओ कहला जे हुनका उम्‍मीद अछि जे केन्द्र सरकार एहि पर अपन मंजूरी प्रदान करत। ओ कहला जे अगिला चारि साल मे राज्‍य सड़कक मामला मे अमीर भ जाएत। कुल 38टा जिला मे स 24टा जिला फोर-लेन सड़क स जुडि जाएत। ओ कहला जे एनएचडीपी फेज-1 क तहत बख्तियारपुर स खगड़िया 4 लेन चौड़ीकरण लेल चयनित अछि। पथ निर्माण मंत्री कहला जे गोपालगंज क बरौली-मांझी पथ क निर्माण कैल जाइत। इ सड़क गोपालगंज कए सीवान आ छपरा स जोडत। पथ निर्माण मंत्री कहला जे सीवान क बाइपास ग्राम रेनुआ मे दाहर नदी पर सरकार नव पुल बनाउत। वित्तीय वर्ष 2012-13 मे एहि लेल निर्माण कार्य आरंभ भ जाएत। एकरा लेल प्रशासनिक स्वीकृति लेल जा रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments