पटना आ बिहार विवि क कुलपति क वेतन बंद

पटना। मानव संसाधन विभाग क सचिव केके पाठक बिना विभागीय आदेश कए छठा वेतनमान लागू करबाक एजेंडा पर सिंडिकेट क बैठक मे निर्णय लेबै आ इ संदर्भ मे 23 नवंबर कए भेजल निर्देश क बावजूद बैठक क कार्यवाही नहि पठेबा पर पटना विश्वविद्यालय क कुलपति, प्रतिकुलपति, डीन, छात्र कल्याण आ प्राक्टर क नवंबर, 2009 क वेतन भुगतान पर अगिला आदेश तक रोक लगा देलथि। कुलसचिव कए पठाउल गेल पत्र क प्रति वित्त पदाधिकारी कए सेहो पठाउल गेल अछि। एकेडमिक सत्र आ परीक्षा कए समय पर पूरा करबाक निर्देश क बावजूद बीआर अंबेडकर बिहार विश्वविद्यालय द्वारा कार्यक्रम क अनुसार परीक्षा नहि करबेबाक कारण कुलपति, प्रतिकुलपति, कुल सचिव, परीक्षा नियंत्रक, डीन छात्र कल्याण आ प्राक्टर क सेहो नवंबर माह क वेतन अगिला आदेश तक स्थगित करि देल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments