पटनाक घाट पर महाआरती: अद्भुत, अलौकिक

पटना। पटनाक गंगा घाट पर महाआरती शुरू भ गेल। एहि अवसर पर डिप्टी सीएम सुशील कुमार मोदी समेत हजार स बेसी लोक घाट पर मौजूद छल। घाटक दृश्य अद्भुत, अलौकिक। एकदम हरिद्वार आ बनारस सन। लगैते नहि छल जे इ पटना क गंगा घाट छी। पर्यटन विभाग क दिस स गांधी घाट पर शुरू भेल एहि आयोजनक शुभारंभ क अवसर पर मोदी कहला जे गंगा क कछैर कए रौशन करबा लेल भवन सब पर लाइट लगाउल जा रहल अछि। एकर संगहि ओ इ घोषणा सेहो केलथि जे फ्लोटिंग रेस्तरां आब सांझ ढलबाक बाद सेहो चलत। ओ कहला जे अगिला वित्त वर्ष मे कलेक्ट्रेट घाट स गांधी घाट तक गंगा क कछैर मे पैदल पथ क संग घाट क निर्माण कैल जाएत। एकरा लेल केन्द्र सरकार लग सौ करोड़ क योजना मंजूरी क लेल पठा देल गेल अछि। मोदी कहला जे एहि महाआरती कए देखबा लेल देश विदेश स लोक आउत ताहि लेल राधानीक लोक कए एहि ठामक व्यवस्था कए नीक रखबा मे प्रशासनक मदद करबाक चाही। ओ पटनाक संग सब ठामक लोक स अपील केलथि जे एहि अलौकिक दृश्य कए देखबा लेल जरूर आबि। महाआरती क आयोजन प्रत्येक शनि आ रविदिन कए होएत। ओ पर्यटन विभाग क अधिकारी कए निर्देश देलथि जे दू गोटे कए एला पर सेहो इ आरती हेबाक चाही, कोनो हाल मे एकरा नहि रोकल जाए इ सुनिश्चित कराउ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

Comments are closed.