पंद्रह साल पुरान वाहन पर लागत ग्रीन टैक्स

पटना। उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला अछि जे पन्द्रह साल पुरान वाहन पर ग्रीन टैक्स लगेबा पर विचार कैल जा रहल अछि। एखन धरि एहन वाहन कए टैक्स रियायत देबाक प्रावधान अछि। ओ कहला जे बैंक क माध्यम स प्रयास कैल जा रहल अछि जे पुरान वाहन कए लकए नव वाहन देबा क व्यवस्था करे। उपमुख्यमंत्री क अनुसार सबस बेसी प्रदूषण तिपहिया वाहन स भ रहल अछि। एहि लेल पटना क बेली रोड पर एहन वाहन कए चलेबाक अनुमति नहि देल जाएत। हुनकर अनुसार यूरो-2 स पहिने क व्यावसायिक वाहन कए परमिट नहि देल जाइत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments