नेपाल हितकारी योजना मे बिहार कए भेटत 172 करोड़

पटना। केंद्रीय जल संसाधन मंत्रालय क टीम कए बिहार दौरा राज्य क लेल वरदान साबित भेल अछि। नेपाल हितकारी योजना क तहत बिहार कए केन्द्र स 171.84 करोड़ टका क योजना क स्वीकृती भेट गेल अछि। हालांकि, एहि योजना पर विदेश मंत्रालय क सहमति भेटबाकबाकी अछि। बिहार कए भेटै वाला राशि स नेपाल क्षेत्र मे पश्चिमी गंडक आ दोन नहर क जीर्णोद्धार, पुलिया निर्माण आ गाद निकासी क काज होएत।
पिछला दिन जल संसाधन मंत्रालय क सचिव यूएन पंजियार क नेतृत्व मे केन्द्रीय टीम बिहार आएल छल। हुनकर समक्ष राज्य सरकार पुरान कागजात प्रस्तुत केने छल। ओहि मे जिक्र छल जे 1992 मे दोन नहर स नेपाल मे सिंचाई व्यवस्था सुदृढ़ बनेबाक लेल केन्द्र स नेपाल हितकारी योजना क तहत सात करोड़ टका स्वीकृत भेल छल। हालांकि, इ राशि 1993-94 मे प्राप्त भेल आ ओकर उपयोग 2003-04 मे भेल। एहि आधार पर जल संसाधन मंत्रालय नेपाल हितकारी योजना क तहत आब 171.84 करोड़ टका स्वीकृत केलक। इ राशि तीन वर्ष मे व्यय होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments