नेपाल: संविधान सभा क चुनाव मे यूसीपीएन एम क प्रचंड हारि

काठमांडू : नेपाल मे संविधानसभा लेल भेल मतदानक परिणाम सामने आबि रहल अछि। नेपाली कांग्रेस मे लोक एक बेर फेर विश्‍वास देखेलक अछि जखनकि पहिल संविधानसभा लेल भेल चुनाव मे सबस पैघ पार्टी क रूप मे जीतल यूसीपीएन एम कए एहि बेर तेसर स्‍थान प्राप्‍त भेल अछि। पार्टी क हालत एहि स पता चलैत अछि जे ओकर सबस पैघ नेता प्रचंड दू ठाम स मैदान मे छलाह, जाहि मे स एक ठाम ओ चुनाव हारि गेलाह अछि। यूनीफाइड सीपीएन-माओवादी क अध्यक्ष पुष्प कमल दहल प्रचंड कए आइ संविधान सभा लेल भेल चुनाव मे नेपाली कांग्रेस क उम्मीदवार राजन केसी स हारि गेलाह । काठमांडो निर्वाचन क्षेत्र 10 स उम्मीदवार राजन कए 20,392 मत भेटल, जखनकि प्रचंड क नाम स प्रसिद्ध पुष्प कमल दहल कए 12,852 मत भेटल। एहि सीट स चुनाव लडि रहल तेसर उम्मीदवार सीपीएल-यूएमएल क सुरेंद्र मानंधर कए 13,615 मत भेटल। प्रचंड 2008 मे एहि सीट स पैघ अंतर स जीतल छलाह। तखन राजन हुनकर निकटतम प्रतिद्वंद्वी छलाह। प्रचंड सिराहा निर्वाचन क्षेत्र 5 स सेहो उम्मीदवार छथि जतए मतगणना मे ओ आगू चलि रहल छथि। एहि स पहिने प्रचंड क पार्टी संविधान सभा क चुनाव क शुरुआती परिणाम मे तेसर स्थान पर पिछड़बाक स चुनाव मे साजिश क आरोप लगा मतगणना निलंबित करबाक मांग केलथि अछि। एहि बीच मुख्य निर्वाचन आयुक्त नील कांत उप्रेती संवाददाता सम्मेलन मे कहला जे मत क गिनती क काज पारदर्शी तरीका स भ रहल अछि आ इ जारी रहत। उप्रेती कहला जे राजनीतिक पार्टी कए परिणाम स्‍वीकार करबाक चाही। ओ कहला जे लोकक मत क सम्‍मान हेबाक चाही। मतगणना क बाद 601 सदस्यीय सभा एकटा नव संविधान तैयार करत। एहि सभा लेल 240टा सदस्य प्रत्यक्ष मतदान स आ 335 सदस्य आनुपातिक मतदान प्रणाली स चुनल जाएंत आ शेष 26टा सदस्य कए सरकार नामित करत। 2008 मे भेल संविधान सभा क चुनाव मे यूसीपीएन एम सबस पैघ पार्टी क तौर पर उभरल छल, जखनकि नेपाली कांग्रेस दोसर आ सीपीएन-यूएमल तेसर स्थान पर छल।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments