नेपाल मे 601टा सीट लेल 65 फीसदी मतदान

काठमांडू : नेपाल मे संविधान सभा लेल मतदान भेल। मंगलदिन भेल एहि मतदान मे 65 फीसदी लोक अपन मताधिकार क प्रयोग केलथि। किछु छिटपुट घटना कए छोड़ि दी त आमतौर पर मतदान शांतिपूर्ण रहल। चुनाव आयोग स प्राप्त जानकारी क अनुसार मतदान क प्रतिशत 65 क आसपास रहल आ पार्टीे क बीच संघर्ष आ विवाद मे लगभग बारह गोटे घायल भेल छथि। एकटा चुनाव अधिकारी बतेलथि अछि जे लोक मे वोट देबा लेल भारी उत्साह देखल गेल। नेपाल मे देश क कुल 122 राजनीतिक पार्टी क करीब 16 हजार स बेसी उम्मीदवार संविधान सभा क 601 सीट लेल अपन भाग्य अजमा रहल छथि। मंगलदिन भेल मतदान मे 1.24 करोड़ मतदाता कए वोट देबाक छल। तकनीकी खराबी क कारण किछु केंद्र पर देरी स मतदान शुरू भेल। अधिकारी क कहब अछि जे मतदान क दर काफी नीक रहल आ शांति स चुनाव निपटल। हालांकि एकटा मतदान केंद्र लग विस्फोट आ एकटा पर हमला क खबरि अछि। निर्वाचन आयोग क प्रवक्ता बीर बहादुर राय कहला जे 240 सीट लेल कराउल गेल प्रत्यक्ष मतदान लेल 6,128 उम्मीदवार अपन भाग्य आजमा रहल छथि। आनुपातिक प्रतिनिधित्व चुनाव प्रणाली क तहत 335 सीट लेल भ रहल चुनाव मे 10 हजार 709 उम्मीदवार मैदान मे छथि, जखनकि 26टा सीट नामांकन क आधार पर भरल जाएत। मतदान क दौरान राजधानी काठमांडू मे भेल एकटा विस्फोट मे 3टा बच्चा घायल भेल। विस्फोट मतदान केंद्र लग भोर  लगभग 10 बजे भेल। चुनाव क दौरान मतदान कए बाधित करबाक आरोप मे सयांग्जा जिला मे तैनात तीनटा कर्मचारी क खिलाफ कार्रवाई कैल गेल अछि। वेबसाइट “नेपालन्यूज डॉट कॉम” क कहब अछि जे खुलाडिडी मे स्थित जनता सेकेंडरी स्कूल मे तैनात निर्वाचन आयोग क तीनटा कर्मचारी कए मतदान बाधित करबा लेल काज स हटा देल गेल अछि। गौरतलब अछि जे 2008 मे भेल चुनाव क उपरांत बहुप्रतीक्षित संविधान नहि लिखल जा सकल, जाहि कारण स नेपाल मे संविधान सभा क दोसर चुनाव भ रहल अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments